अनुराधा कोइराला Anuradha Koirala | |
---|---|
बागमती प्रदेशक प्रदेश प्रमुख | |
कार्यकाल २० जनवरी २०१८ | |
पूर्वाधिकारी | स्वयं |
व्यैक्तिक विवरण | |
जन्म | सन् १९४९ अप्रिल १४ रुम्जाटार, ओखलढुङ्गा, नेपाल |
नागरिकता | नेपाली |
राजनैतिक दल | नेपाली काङ्ग्रेस |
जीवनसाथी | दिनेशप्रसाद कोइराला |
बाल बच्चा | मनीष कोइराला |
अभिभावक | कोलोनेल प्रताप सिंह गुरुङ आ लक्ष्मी गुरुङ |
पेशा | समाजसेवी |
अनुराधा कोइराला नेपालक समाजसेवी, माइती नेपालक संस्थापक अध्यक्ष आ वर्तमान बागमती प्रदेशक प्रदेश प्रमुख छी ।[१][२] ओ अपन गैरसरकारी संस्था माइती नेपालक मद्दतिसँ किनबेच भेल स्त्रीसभक उद्वार करैत अछि । भारतीय कोठीसभमे बेचल गेल आ बदत्तर जीवन वितेवाक लेल वाध्य नेपाली स्त्रीसभक उद्वार तथा पुनर्स्थापनामे हिकर संस्था क्रियाशील अछि। ओ सन् २०१० मे सिएनएन हिरोक उपाधिसँ सेहो सम्मानित भेल छल ।[३]
अनुराधाक जन्म १४ अप्रैल १९४९[४] मे ओखलढुङ्गा जिलाक रुम्जाटारमे गुरुङ परिवारमे भेल छल। हुनकर पिता कर्णेल प्रताप शिंह गुरुङ आ माता लक्ष्मी गुरुङ अछि ।[५]
अनुराधा, १० कक्षा धरि भारतक कालिम्पोङमे अध्ययन आ भारतक कोलकातासँ स्नातक उतिर्ण केनए छल। चारि भाई आ दुई दिदी बहीनमे सँ ओ सैझली छल । १९ वर्षक किशोर उमेरमे काठमाडौंक दिनेशप्रसाद कोइरालासँ वैवाहिक बन्धनमे बन्हल अनुराधाक एक मात्र पुत्र मनीष कोइराला सेहो 'प्रयास नेपाल' नामक गैरसरकारी संस्था चलबैत अछि।[६]
कोइराला संयुक्त राज्य अमेरिकाक क्यालिफोर्नियाक लस एन्जलसमे सिएनएन हिरो उपाधि जितने छल । ओ डेमी मुर आ एस्टन कचरद्वारा मञ्चमे संयुक्तरुप सँ बजाएल गेल छल ।[७]
कोइरालाकें माइती नेपालक अपन कार्यक्रम जारी राखऽ कऽ लेल अमेरिकी डलर १,००,००० संगे २५,०० कदर स्वरुप सिएनएनद्वारा प्रदान कएल गेल छल ।[७][८]
ओ सन् २०१४ मे मदर टेरेसा पुरस्कार आ[९][१०]सन् २०१७ अप्रैलमे भारतक चारिम सर्वोच्च नागरिक सम्मान पुरस्कार पद्मश्री प्राप्त केलक।[११][१२]
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
{{cite web}}
: Check date values in: |date=
(help)
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)