तख्त श्री पटना साहिब | |
---|---|
अन्य नाम | तख्त श्री हरिमन्दिर जी, पटना साहिब |
सामान्य विवरण | |
अवस्था | सिखसभक पाँच टा तख्तसभमे सँ एक |
वास्तुकलाक ढाँचा | सिख वास्तुकला |
ठेगान | तख्त श्री हरिमन्दिर जी, पटना साहिब, पटना, बिहार ८००००८, भारत |
निर्देशाङ्क | २५°३५′४६″N ८५°१३′४८″E / २५.५९५९८२५५८०३१६५°N ८५.२३०००१५२२२०४२°Eनिर्देशाङ्क: २५°३५′४६″N ८५°१३′४८″E / २५.५९५९८२५५८०३१६५°N ८५.२३०००१५२२२०४२°E |
सम्पन्न | १८हम शताब्दी |
पूनर्निमाण | सन् १८३९ सन् १९५४ नवम्बर १९ |
जिर्णोद्दार लागत | ₹२०,००,००० |
व्यवस्थापन | तख्त श्री हरिमन्दिर जी, पटना साहिब प्रबन्धक समिति |
वेबसाइट | |
takhatpatnasahib.com |
तख्त श्री पटना साहिब या श्री हरमन्दिर जी, पटना साहिब पटना शहरक पटना सिटीमे स्थित सिख आस्थासँ जुड़ल एक ऐतिहासिक दर्शनीय स्थल छी। ई पवित्र स्थल सिखसभक दशम् गुरु गुरु गोविन्द सिंहक जन्मस्थान छी। गुरु गोविन्द सिंहक जन्म सन् १६६६ दिसम्बर २२ शनि दिन माता गुजरीक गर्भसँ भेल छल। हुनकर वाल्यकालक नाम गोविन्द राय छल। एहि ठाम महाराजा महाराजा रणजीत सिंहद्वारा बनाएल गेल गुरुद्वारा अछि जे स्थापत्य कलाक सुन्दर नमूना अछि।[१]
ई स्थान सिखसभक दशम् गुरु, गुरु गोविन्द सिंहक जन्म स्थान तथा गुरु नानक देवक सङ्गे गुरु तेग बहादुर सिंहक पवित्र यात्रासभ सँ जुड़ल अछि। आनन्दपुर जाए सँ पूर्व गुरु गोविन्द सिंहक प्रारम्भिक वर्ष एहि ठाम व्यतीत भेल छल। ई गुरुद्वारा सिखसभक पाँच पवित्र तख्तमे सँ एक छी। भारत आ पाकिस्तानमे कतेको ऐतिहासिक गुरुद्वारासभ जका, एहि गुरुद्वाराकेँ महाराजा रणजीत सिंहद्वारा बनाएल गेल छल।
{{cite web}}
: Check date values in: |archive-date=
(help)