राधा पौडेल Radha Paudel | |
---|---|
![]() विकास सहयोग सम्मेलनक लेल नर्वेमे राधा पौडेल। | |
जन्म | चितवन, नेपाल | २९ दिसम्बर १९७३
पेशा | नर्स, एनेस्थिसियोलोजी, लेखक |
भाषा | नेपाली अङ्ग्रेजी |
राष्ट्रियता | नेपाली |
शिक्षा | स्वास्थ्य शिक्षा, समाजशास्त्र आ विकास प्रबन्धनमे स्नातकोत्तर |
मातृसंस्था | त्रिभुवन विश्वविद्यालय |
शैली | समाजिक विकास |
विषय | महिनावारीक समयमे महिलासभमे होमएवला भेदभावक विरुद्ध, गरीबक जीवनमे सुधार, महिला सशक्तिकरण। |
उल्लेखनीय कामसभ | जुम्ला: स्टोरी अफ ए नर्स |
उल्लेखनीय पुरस्कार | २०१२ महिला शान्ति निर्माता (सान डिएगो विश्वविद्यालय) २०१२ एन-पीस अवार्ड (संयुक्त राष्ट्र विकास कार्यक्रम) 2014 यूथ ट्यालेन्ट अवार्ड (नेपाल सरकार) २०१४ मदन पुरस्कार २०२० एसियन इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्ट के तरफ सँ ट्रिपल ए अवार्ड |
Website | |
radhapaudel.org |
राधा पौडेल कऽ जन्म २९ दिसम्बर १९७३ मे मङ्गलपुरमे भेल छल मुदा हुनकर पालन पोषण गौरीगञ्ज, चितवन जिला, नेपालमे भेल छल। भेदभाव, दुर्व्यवहार आ हिंसाक हुनकर बचपनक अनुभवसभ हुनका एकटा मानवीय कार्यकर्ता, परिचारिका आ लेखकक रूपमे अपन स्थितिक माध्यमसँ लैङ्गिक न्याय केर समर्थनमे बाजऽकऽ लेल प्रोत्साहित केलक। ओ महिनावारी प्रतिबन्ध, दुर्व्यवहार, उल्लङ्घन आ युद्धक वर्षसँ बचऽमे सफल भेल अछि। ओ पीड़ित वर्गक लोकसभक लेल एकटा आवाज बनऽ कऽ लेल प्रेरित करैत अछि, जे नेपालमे अपन समुचा जिन्गी, विशेष करि युवा लड्कीसभ आ महिलासभक चुप करा दैत अछि। राधा पौडेल अपन कामक माध्यमसँ तीन ई (एजुकेशन, इमपावर आ इमान्सिपेट) कऽ रोजगार देलक।[१][२]
ओ एहन मुद्दासभ के प्रयोग केलक, जे व्यक्तिगत रूप सँ दोसर के सहायता करवाक लेल सामना करैत छल,[३]जे समान अनुभवसभ सँ गुजर रहल् अछि।[४]ओ एकटा अध्ययन केलक आ सन् २०११ में सार्वजनिक परिवहन में यौन उत्पीडन के विरुद्ध अभियानक नेतृत्व केलक। ओ सन् २०१५ में विनाशकारी भूकम्प के समय में स्वयंसेवकसभ को सघन रूप सँ काम में लगौने छल आ नेतृत्व केनए छल आ त्रिभुवन विश्वविद्यालय में यौन शोषण के विरुद्ध एकटा आन्दोलनक नेतृत्व केलक।[५] छ महिना के नाकाबन्दी के समय में ओ सन् २०१५/२०१६ में लालबन्दी, सर्लाही, सप्तरी, धनुषा, पर्सा, चितवन, आ काठमाण्डौ में शान्ति के लेल सार्थक वार्ता के लेल अभियान शुरू केलक आ सन् २०१६ आ सन् २०१७ में क्रमश: सप्तरी आ सिराहा में बाढि पीडिता के लेल राहत कार्यसभ में लगातार लगल् रहल्। ओ बायो-डिग्रेडेबल स्यानिटरी प्याड फ्याक्ट्री सेहो चलावैत् अछि। ओ संस्थापक, कार्यकारी, सलाहकार के रूप में दर्जनसँ से अधिक संगठनसभक लेल काम केलक। ओ सन् २०१० सँ २०१६ धरि पूर्णकालिक संस्थापक/अध्यक्ष के रूप में काम केलक। सुश्री पौडेल सन् २०१६ में राधा पौडेल फाउन्डेशन के लेल काम केनाए शुरू केलक। हुनकर भतीजी सुश्री अनुपा रेगमी द्वारा स्थापित, हुनकर नाम पर मानवता के लेल सुश्री पायल के आकांक्षासभ के दोहरावे आ बढावे के लेल समर्पित केलक।