स्थान | अयोध्या |
---|---|
क्षेत्र | उत्तर प्रदेश |
निर्देशाङ्क | २६°४७′४४″N ८२°११′३९″E / २६.७९५६°N ८२.१९४३°Eनिर्देशाङ्क: २६°४७′४४″N ८२°११′३९″E / २६.७९५६°N ८२.१९४३°E |
Site notes | |
Ownership | श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र[१] |
राम जन्मभूमि (शाब्दिक रूपसँ 'भगवान श्रीराम कें जन्मस्थान') ओ स्थान छी जेकरा भगवान राम केर जन्मस्थान मानल जाईत अछि, जेकरा हिन्दू देवता विष्णु कें सातम् अवतार मानल जाईत अछि। रामायणमें कहल गेल अछि जे भगवान रामक जन्मस्थान "अयोध्या" नामक शहरमें सरयू नदी केर किनारामें अछि। आधुनिक अयोध्या उत्तर भारतीय राज्य उत्तर प्रदेशमें अछि।
किछ हिन्दुसभक दाबी अछि जे रामक जन्मस्थान ओतय अछि जतय कहियो बाबरी मस्जिद वर्तमान अयोध्या, उत्तर प्रदेशमें छल। [२]
राम आ सीताक मूर्ति सन् १९४९ में मस्जिदमें रखल गेल आ अगला दिनसँ भक्त जम्मा होव लगैत अछि। [३][४] सन् १९९२ में, हिन्दू राष्ट्रवादीसभद्वारा बाबरी मस्जिदक विध्वंससँ व्यापक हिन्दू-मुस्लिम हिंसा भडिक गेल। सम्पत्ति पर कानूनी विवाद भारतीय सुप्रीम कोर्ट धरि पहुँच गेल, जे अगस्तसँ अक्टूबर २०१९ धरि स्वामित्व विवाद मामिला कें सुनवाई केलक। [५][६] ९ नवम्बर २०१९ में सुप्रीम कोर्ट हिन्दू मन्दिर बनावे कें लेल जमिन एकटा ट्रस्ट कें जिम्मा लगेबाक आदेश देलक।[७]