अनुपमा परमेश्वरन Anupama Parameswaran | |
---|---|
अनुपमा | |
जन्म | फरबरी १८, १९९६ |
राष्ट्रियता | भारतीय |
मातृसंस्था | महात्मा गान्धी विश्वविद्यालय, केरल |
व्यवसाय | अभिनेत्री |
सक्रिय वर्ष | २०१५–वर्तमान |
अनुपमा परमेश्वरन भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी, जे दक्षिण भारतीय चलचित्रमे अभिनय करैत अछि। जाहिमे तमिल, तेलुगु, मलयालम आ कन्नड चलचित्रसभ शामिल अछि। हिनकर पहिल चलचित्र 'प्रेमम' (२०१५) मे हिनकर भूमिका कारण बहुत जानल जाएत छल।[१]
अनुपमा अपन अभिनय कऽ सफरक शुरुआत सह-कलाकार निविन पौलीक सङ्ग प्रेमम (२०१५) नामक एक मलयालम भाषामे बनल फिल्मक सँ केनए छल , जे खुब आयआर्जन करैमे सफल रहल छल । ई चलचित्र कें बाद ओ एक आर मलयालम चलचित्र, जेम्स एन्ड एलिस (२०१६) मे काम करवाक मौका मिलल छल । ई चलचित्रमे हिनकर सङ्ग पृथ्वीराज सुकुमारन सेहो मुख्य भूमिका निर्वाह केनए छल ।[२]