गोह केङ्ग स्वी, सिंगापुरक एक गोटे राजनेता आ अर्थशास्त्री छल, जे सन् १९७३ आ १९८५ केर बीचकें समयमे सिंगापुरक उपप्रधानमन्त्रीक रूपमे काज केलक। गोह केरऽ व्यापक रूपसँ सिगापुरक संस्थापकसभमे सँ एकटा केरऽ रूपमे प्रसिद्ध अछि। ओ पिपुल्स एक्सन पार्टीक संस्थापकसभमे सँ सेहो एकटा छल, जे स्वतन्त्रताक पश्चातसँ लगातार देश पर शासन केने अछि।
सन् १९६५ मे सिंगापुरक स्वतन्त्र होए के बाद गोह देशकें राजनीतिक नेतासभकें पहिल पीढी केरऽ एकटा प्रमुख सदस्य छल। ओ सन् १९५९ आ १९६५ के बीचकें समयमे वित्तमन्त्रीक रूपमे काज केलक, आ फेरसँ सन् १९६७ आ सन् १९७० केर बीच, ओहिना सन् १९६५ आ सन् १९६७ केर बीचकें समयमे आन्तरिक आ रक्षामन्त्रीकें रूपमे काज केलक। सन् १९७० आ १९७९ केर बीचकें समयमे रक्षा आ सन् १९७९ आ सन् १९८५ केर बीचकें समयमे शिक्षा मन्त्री रहल छल।
आन्तरिक आ रक्षामन्त्रीक रूपमे, गोह कऽ मुख्य उद्देश्य ब्रिटिशसभद्वारा सिंगापुरसँ अपन सैनिकसभ केर फिर्ता बोलाब केरऽ पश्चात देशकें सैन्य आ घरेलू सुरक्षा क्षमतासभ केर मजबूत केनाए छल, जे की नव-स्वतन्त्र राष्ट्रकें असुरक्षित बना देने छल। एकटा प्रमुख नीति राष्ट्रिय सेवा केर निर्माण छल, जे सक्षम युवा पुरुषसभक लेल एकटा अनिवार्य भर्ती प्रणाली छल। प्रधानमन्त्री ली कुआन यू उल्लेख केने छल जे ओ इजराइलकें समान पुरुषसभ आ महिलासभ दुनु मिलल एकटा भर्ती चाहैत छल। मुदा, गोह ई कहैत एकरा अस्वीकार करि देलक जे कमसँ कम शुरुवाती वर्षसभमे श्रम लागत नव-स्वतन्त्र राष्ट्रक लेल बहुत बेसी भ जाईत।
वित्तमन्त्री के रूपमे गोह केरऽ कार्यकालक समयमे, ओ केन्द्रीय बैंक केरऽ मुद्रा जारी करऽ सँ अनुमति देबाक अस्वीकार करि देने छल, एकरा छोडि मुद्रा बोर्ड प्रणालीकें पक्ष लऽ लेने छल किएकि एहिसँ नागरिकसभ, शिक्षाविदसभ आ वित्तीय दुनियाक संकेत मिलेत् जे सरकारसभ "समृद्धिक लेल अपन बाट नहि बना सकत"; सिंगापुरक मौद्रिक प्राधिकरण तत्पश्चात सन् १९७१ मे स्थापित कएल गेल छल। सन् १९८१ मे, गोह योहो विचार व्यक्त केलक जे मुद्राक रक्षाक लेल केन्द्रीय बैंक केरऽ पैघ मात्रामे नगदी आरक्षित रखबाक आवश्यकता नहि अछि, ओ प्रस्ताव देने छल जे अतिरिक्त निवेशक लेल सिंगापुर सरकार निवेश निगमक स्थापना कएल जाए भण्डारणक लेल आ ओ समय, गैर-वस्तु-आधारित अर्थव्यवस्थाक लेल एहन प्रकारक सम्प्रभु धन कोष रखनाए अभूतपूर्व छल, आ शुरूमे एकरा एकटा जोखिमसँ भरल उद्यमक रूपमे देखल गेल छल जे अन्ततः लाभांशक भुक्तान केलक। बहुराष्ट्रिय मर्चेन्ट बैंक, रोथ्सचाइल्ड एण्ड कम्पनी सेहो अपन शुरुवाती वर्षसभक समयमे सिंगापुर सरकार निवेश निगम पर सलाह देने छल। गोहकें सन् २०१० मे ९१ वरिषक आयुमे मृत्यु भऽ गेल आ हिनका राजकीय अन्तिम संस्कार कएल गेल।
गोह केङ्ग स्वी Goh Keng Swee | |
---|---|
吴庆瑞 | |
फाइल:GohKS.jpg | |
सिङ्गापुरकें उपप्रधानमन्त्री | |
कार्यकाल २० मार्च १९७३ – १ जनवरी १९८५ Serving with एस. राजारत्नम (१९८०–१९८५) | |
प्रधानमन्त्री | ली कुआन यू |
पूर्वाधिकारी | टो चिन च्ये |
उतराधिकारी | गोह चोक तोङ्ग ओङ तेङ चेओङ |
सिङ्गापुरकें मौद्रिक प्राधिकरण केर अध्यक्ष | |
कार्यकाल अगस्त १९८० – डिसेम्बर १९९७ | |
प्रधानमन्त्री | ली कुआन यू |
पूर्वाधिकारी | हन सुई सेन |
उतराधिकारी | रिचर्ड हू |
शिक्षामन्त्री | |
कार्यकाल १२ फरवरी १९७९ – २ जनवरी १९८५ | |
प्रधानमन्त्री | ली कुआन यू |
पूर्वाधिकारी | चुआ सिआन चिन |
उतराधिकारी | टोनी ट्यान |
रक्षा मन्त्री | |
कार्यकाल ११ अगस्त १९७० – ११ फरवरी १९७९ | |
प्रधानमन्त्री | ली कुआन यू |
पूर्वाधिकारी | लिम किम स्यान (आन्तरिक एवम् रक्षामन्त्री के रूप में) |
उतराधिकारी | होवे यून चोङ |
अर्थ मन्त्री | |
कार्यकाल १७ अगस्त १९६७ – १० अगस्त १९७० | |
प्रधानमन्त्री | ली कुआन यू |
पूर्वाधिकारी | लिम किम स्यान |
उतराधिकारी | हन हुई सेन |
कार्यकाल ५ जुन १९५९ – ८ अगस्त १९६५ | |
प्रधानमन्त्री | ली कुआन यू |
पूर्वाधिकारी | कार्यालय स्थापना |
उतराधिकारी | लिम किम स्यान |
आन्तरिक एवम् रक्षा | |
कार्यकाल ९ अगस्त१९६५ – १६ अगस्त१९६७ | |
प्रधानमन्त्री | ली कुआन यू |
पूर्वाधिकारी | कार्यालय स्थापना |
उतराधिकारी | लिम किम स्यान |
सदस्य मलेसियाली संसद कें आ सिङ्गापुर के लेल | |
कार्यकाल २ नवम्बर १९६३[१] – ९ अगस्त १९६५ | |
पूर्वाधिकारी | पद स्थापना |
उतराधिकारी | पद समाप्त |
Member of the सिङ्गापुर Parliament for [क्रेटा अयेर | |
कार्यकाल ३० मई १९५९ – ४ दिसम्बर १९८४ | |
पूर्वाधिकारी | निर्वाचन क्षेत्र स्थापित |
उतराधिकारी | रिचर्ड हू |
व्यैक्तिक विवरण | |
जन्म | रोबर्ट गोह केङ स्वी[२] ६ अक्टुबर १९१८ मलक्का, जल-डमरू-मध्य बस्तीसभ |
मृत्यु | १४ मई २०१० सिङ्गापुर | (९१ वर्ष)
Cause of death | ब्लाडर क्यान्सर |
राष्ट्रियता | सिङ्गापुरियन |
राजनैतिक दल | पिपुल्स एक्सन पार्टी |
जीवनसाथी(s) | एलिस वून (m. 1942 div. 1986) फुआ स्वी लिआङ् (m. 1991)[३] |
बाल बच्चा | गोह किअन् ची(बेटा)[३] |
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठान | लण्डन स्कूल अफ इकोनोमिक्स (बीएस, पी.एचडी.) |
हस्ताक्षर | |
सैन्य सेवा | |
शाखा/सेवा | सिङ्गापुर सेना |
सेवा अवधि | १९३९–१९४२ |
श्रेणी | सम्माननीय कर्नल[४] |
इकाई | २०म् जन रक्षा बल[४] |