जगत गोसाई Jagat Gosain | |||||
---|---|---|---|---|---|
मुगल साम्राज्य | |||||
जन्म | मई १३, १५१९ जोधपुर, भारत | ||||
मृत्यु | अप्रिल १८, १६१९ | ||||
Burial | सोहागपुरा | ||||
| |||||
वंश | मुगल | ||||
पिता | मोटा राजा उदयसिंह | ||||
धर्म | हिन्दू |
जगत गोसाई जोधपुर कऽ मारवाड़ रियासतक राजकुमारी छल, जे मुगल बादशाह जहाँगीरक पत्नी आ पाँचम् मुगल बादशाह शाहजहाँक माताकें रुपमे जानल जाएत अछि ।[१]
हिनकर मृत्युक बाद हिनका बिलकिस मकानी (नस्तालीक)कें नाम सँ सम्मानित कएल गेल छल ।[२][३]
बिलकिस मकानी बेगमक जन्म १३ मई १५७३ कऽ भेल छल । ओ जोधपुरक राजा उदय सिंह आ हिनक पत्नी राजवती कचावाही रानी मंरङ्ग देवीकें पुत्री छल ।[४] हिनकर दादा राव मालदेव छल । २१ जनवरी १५८६ कऽ फतेहपुर सीकरीमे मुगल शहंशाह जहाँगीर सँ हिनकर विआह कराओल गेल । ई विआह आमेरक राजा भगवन्त दासक बेटी आ जहाँगीरक पहिल पत्नी, राजकुमारी मनभावती (शाह बेगम)क द्वारा आयोजित कएल गेल । बिलकिस मकानी बेगम जहाँगीरक तेसर पत्नी छल । मकानी बेगम शहजादा खुर्रमक माए छल जो मुगल शहंशाहक रूपमे मयूर सिंहासन पर आसीन भेल । १८ अप्रैल १६१९ कें बिलकिस मकानी बेगमक आगरामे निधन भऽ गेल आ हिनकर मृत शरीरकें सोहागपुरामे दफनाएल गेल ।[५]
विकिमिडिया कमन्समे Jagat Gosainiसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
Queens of Jahangir[permanent dead link]
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)