तीरथ सिंह रावत Tirath Singh Rawat | |
---|---|
देहरादून | |
कार्यकाल १० मार्च, २०२१ | |
पूर्वाधिकारी | त्रिवेन्द्र सिंह रावत |
निर्वाचन क्षेत्र | चौबट्टाखाल (२०१२-२०१७) |
व्यैक्तिक विवरण | |
जन्म | ९ अप्रिल, १९६४ सिरो, पट्टी असवालस्यूं, पौड़ी गढ़वाल |
राजनैतिक दल | भारतीय जनता पार्टी |
जीवनसाथी | डाक्टर रश्मी त्यागी रावत |
पेशा | भाजपा राष्ट्रीय सचिव |
वेबसाइट | आधिकारिक जालस्थल |
स्रोत: [१] |
तीरथ सिंह रावत (जन्म ९ अप्रिल १९६४) एक भारतीय राजनीतिज्ञ छी। आ वर्तमानमे उत्तराखण्डक ९अम मुख्यमन्त्रीक रूपमे सेवारत अछि। [१][२][३] भारतीय जनता पार्टीक सदस्य आ उत्तराखण्डक पूर्व शिक्षा मन्त्रीक रूपमे गढ़वालसँ भारतक लोकसभाक लेल चुनल गेल छल।[४]
पहिने ओ ९ फरवरी २०१३ सँ ३१ दिसम्बर २०१५ धरि भारतीय जनता पार्टी उत्तराखण्डक पार्टी प्रमुख आ २०१२ सँ २०१७ धरि चौबट्टाखल निर्वाचन क्षेत्र सँ उत्तराखण्ड विधानसभाक पूर्व सदस्य रहल छल।[५]
हिनकर जन्म सीरों, पट्टी असवालस्यूं पौड़ी गढ़वाल, उत्तराखण्डमे भेल छल आ हिनकर पिता श्री कलम सिंह रावत छल। हिनका द्वारा समाजशास्त्रमे मास्टर डिग्री आ पत्रकारितामे डिप्लोमा कएल गेल अछि।[६]