नेपालक प्रदेशसभा निर्वाचन नेपालक नवनिर्मित सात प्रदेशसभक प्रदेश सभाक गठनक लेल प्रतिनिधिसभा निर्वाचन संगे दुई चरणमे २०७४ अगहन १० आ २०७४ अगहन २१ मे सम्पन्न भेल अछि । नेपालक सातो प्रदेशक प्रदेश सभाक लेल तय कएल गेल ५५० सिटक (प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीद्वारा ३३० आ सामानुपातिक निर्वाचन प्रणालीद्वारा २२०) लेल ई निर्वाचन सम्पन्न कएल गेल अछि । ई निर्वाचन नेपालकें एक सङ्घीय संरचनामे परिवर्तन केनए अछि ।[१]