परिवार कक्ष घर मे कोनो अनौपचारिक, सर्वोपयोगी कोठरी होइत अछि । परिवार कक्ष के डिजाइन ऐहन जगहक रूपमें कएल गेल अछि जतय परिवार आ मेहमानसभक समूह मनोरञ्जन जेना कि बात करनाय, पढनाय, टिभी देखनाय, आ अन्य पारिवारिक गतिविधिसभ के लेल एकत्रित होयत छै ।[१][२]प्रायः, परिवार कक्ष वा कोठरी भन्सा घरसँ सटल रहैत अछि । परिवार कक्ष में प्रायः पछुआड में जाय वाला दरबाजा आ विशिष्ट बाहर रहय के क्षेत्र जेना फुलवाडि या छत होयत अछि ।