प्रिया तेन्दुलकर | |
---|---|
फाइल:PriyaTendulkar.jpg | |
जन्म | १९ अक्टुबर १९५४ |
मृत्यु | १९ सितम्बर २००२ मुम्बई, भारत | (४७ वर्ष)
भारतक पहिल टिभी स्टार[१] प्रिया तेन्दुलकर अनेक चलचित्र आर टिभी धारावाहिसभमे भूमिका निभेलक मुदा सम्भवतः ओ सम्पूर्ण जीवन अपन सबसँ पहिल टिभी अवतार "रजनी" क नाम सँ ओ प्रशिद्ध भेल । सन् १९८५मे निर्मित आर बासू चटर्जीद्वारा निर्देशित ई धारावाहिकमे ओ भ्रष्टाचार आर सामाजिक कुरीतिक खिलाफ बुलन्द आवाज उठावबाला एक साधारण गृहणीक किरदार निभेने छल । ओ लेखिका सहो छल ।
प्रिया प्रसिद्ध नाटककार विजय तेन्दुलकर क सुपुत्री छल । हुनकर जन्म १९ अक्टोबर, १९५४ मे भेल छल, हुनकर दु बहिन आर एक भाई छल । प्रियाक विवाह अभिनेता तथा लेखक करण राजदान सँ १९८८ मे भेल । मुदा ई बिवाह सात साल धैर मात्र चलल आर ओकर बाद हुन्कर सम्बन्ध विच्छेद भेल । करण आर प्रियालर "रजनी" आर "किस्से मिया बीवी के" धारावाहिकमे श्रीमान श्रीमतीक वास्तविक जीवनक किरदार सहो निर्वाह करने छल । १९७४ मे श्याम बेनेगल क चलचित्र अंकुर मे निभाएल भूमिकाक कारण प्रियाक अभिनेता अनंत नाग सँ सहो सम्बन्ध जोडल गेल छल ।[२]