भारतीय गणतन्त्रमेउन्तीस राज्य आ' दुई टा केन्द्र-शासित प्रदेश (दिल्ली आ पुद्दुचेरी) केरि प्रत्येक सरकारक सत्तारूढ़ दल किंवा गठबंधनक प्रमुख मुख्यमन्त्री कहबैत अछि। भारतक संविधानक अनुसार राज्य स्तरक शासकीय प्रमुखराज्यपाल कानूनन शासनाध्यक्ष होएत अछि मुदा वास्तव मे कार्यकारी प्राधिकारी मुख्यमन्त्री होइत अछि। राज्य विधान सभा चुनावक बाद राज्यपाल सामान्यतः सरकार बनेबाक लेल बहुमत प्राप्त दल (वा गठबन्धन) के सरकार बनेबा' लेल आमन्त्रित करैत अछि। राज्यपाल, मुख्यमन्त्रीक नियुक्ति करैत छथि जकर केबिनेट विधानसभाक प्रति सामूहिक रूप सँ उत्तरदायी होइत अछि । विधानसभा मे विश्वास-मत प्राप्त भेला पर मुख्यमन्त्रीक कार्यकाल सामान्यतः अधिकतम पाँच वर्षक होइत अछि; एकरा अतिरिक्त मुख्यमन्त्रीक कार्यकालक सङ्ख्याक कोनो विधिक- सीमा स्पष्ट रुप सँ नहि निर्धारित अछि।[१]
सन्दर्भ त्रुटि: "lower-alpha" नामक सन्दर्भ-समूह के लिए <ref> टैग मौजूद हैं, परन्तु समूह के लिए कोई <references group="lower-alpha"/> टैग नहीं मिला। यह भी संभव है कि कोई समाप्ति </ref> टैग गायब है।