भूपी शेरचन Bhupi Sherchan | |
---|---|
जन्म | १९९२ पुस १२ गते मुस्ताङ, थाक टुकुचे |
मृत्यु | २०४६ जेठ १ काठमाडौं ![]() |
पेशा | कवि |
भाषा | नेपाली |
राष्ट्रियता | नेपाली ![]() |
नागरिकता | नेपाली |
शैली | कविता (गद्य) |
उल्लेखनीय कामसभ | घुम्ने मेचमाथि अन्धो मान्छे |
उल्लेखनीय पुरस्कार | मदन पुरस्कार |
भूपि शेरचन (वि.स. १९९२-२०४६) नेपाली आधुनिक कवि छी। सन् १९६९ मे ओ घुम्ने मेच माथि अन्धो मान्छे कृतिक लेल साझा पुरस्कार सँ सम्मानित भेल छल।
भूपी शेरचनक (वास्तविक नाम: भुपेन्द्रमान शेरचन) जन्म वि.सं. १९९२ साल पुस (१४ मे १९३७) महिनामे मुस्ताङ जिलाक थाक टुकुचेमे भेल अछि। भूपी ६ वर्षक होमएत काल उनकर माताक मृत्यु भेल छल। मातृ वात्सल्यविहीन भूपी अत्यन्त संवेदनशील छल।
अध्ययनक लेल ओ बनारस गेल। ओ बि.ए. धरि अध्ययन केनए छल|
ओ दुई विवाह केनए अछि। दोसर सहयात्री कान्तिसँग ओ २०२५ सालमे अन्तर्जातीय विवाह केनए छल।
‘भूपी’ शेरचन
(व्यङ्ग्यात्मक सेल्फ पोट्रेट):
केही लेख्छन्
- यसो हेर्छन्
- चित्त बुझ्दैन
- अनि केर्छन्
- पुनः लेख्छन्
- पुनः हेर्छन्
- लामो सास फेर्छन्
- कठैबरा, बिचरा
- ‘भूपी’ शेरचन !
भूपी शेरचनक प्रकाशित कृतिसभ:-
१. परिवर्तन (नाटक, २०१० साल)
२. नयाँ झ्याउरे (कविता,२०१० साल)
३. निर्झर (कविता, २०१५ साल)
४. घुम्ने मेचमाथि अन्धो मान्छे (कविता, २०२५ साल)
साझा पुरस्कार पावैवाला पहिल कृति सेहो 'घुम्ने मेचमाथि अन्धो मान्छे' ही छी, जाहिमे ४२टा कवितासभ सरल, सरस भाषाशैली आ अनुप्रासयुक्त एवम् लयात्मक भावाभिव्यक्तिसँ शृङ्गारल अछि।
भूपीक निधन २०४६ साल जेठ १ गते, काठमाडौँमे भेल ।