भैरव अर्याल (१९९३-२०३३) प्रसिद्ध हास्यव्यङ्ग्यकार अछि । उनकर हास्यव्यङ्ग्यक निबन्ध बहुत चर्चित अछी।
उनकर जन्म वि.सं. १९९३ आश्विन ५ गते ललितपुरक कोपुण्डोलमे भेल अछि। उनकर माताक नाम खेमकुमारी अर्याल आ पिताक नाम होमनाथ अर्याल छी।
नेपालीमे एम.ए. , साहित्यरत्न आ संस्कृतमे मध्यमा करि कऽ अर्याल पत्रकारिता केलक । ओ दैनिक पत्रिका ‘हालखबर’ सँ पत्रकारिता सुरु केलक । उनका ‘हालखबर’ दैनिक कऽ सम्पादक दाताराम शर्मा प्रोत्साहित करलाऽ कऽ बाद २०१४ सालमे ओही ठाममे पत्रकार नियुक्त भेल छल। पाछा गोरखापत्रक सम्पादन समूहमे रहल छल । ‘मधुपर्क’ के स्तरीय बनावैलऽ बहुत कार्य केलक । ‘रचना’ पत्रिका प्रकाशनमे सेहो उनकर भूमिका महत्त्वपूर्ण रहल अछि।
ओ नेपालक विभिन्न स्थान, भारत, जर्मनी, बङ्गलादेशक भ्रमण केलक ।
मृत्यु-वि. सं. २०३३, आश्विन, गोकर्ण काठमाणडू
ओ सर्वप्रथम वि. सं. २००९ सालमे 'नयाँ जीवन’ शीर्षक कविता रचि लेखनयात्रा सुरु केनए अछि । उनकर पहिल रचनाक रूपमे वि.सं. २०१३ मे 'नव निर्माण' शीर्षक कऽ कविता प्रकाशित भेल छल । ओ हाँस्यव्यङ्ग्य, काव्य आदिसभमे अपन कलम चलेलक।
१) साझा कथा - कथा संग्रह- २०२५ -
२) छ्याकन - कविता संग्रह -
३) रत्नश्री - सम्पादन
४) गोरखापत्र -स. सम्पादक
५) विभिन्न पत्र-पत्रिकासभमे कविता, लेख समालोचना, हास्य व्यंग्यात्मक रचनासभ प्रकाशित
उनकर किछ चर्चित निबन्धसभ