मञ्जुश्री थापा Manjushree Thapa | |
---|---|
![]() मञ्जुश्री थापा | |
जन्म | १९६८ काठमाण्डौ, नेपाल |
पेशा | लेखिका |
राष्ट्रियता | क्यानेडियाली |
अवधि | १९८९+ - वर्तमान |
शैली | उपन्यास, लघु कथा सङ्ग्रह, निबन्ध |
उल्लेखनीय कामसभ | फोरगेट काठमाण्डौ (२००५)ट्युटर अफ हिस्ट्री (२००१)सिजन्स अफ फ्लाइट (२०१०) |
नातेदार | डा. भेख बहादुर थापा (पिता), भाष्कर थापा (भाइ), तेजश्री थापा (बहिन) |
Website | |
manjushreethapa.com |
मञ्जुश्री थापा के जन्म काठमाण्डौ में भेल छल मुद्दा ओ एक गोटे क्यानेडियाली निबन्धकार, कथा लेखक, अनुवादक आ नेपाली मूल के सम्पादक छि।[१]
मञ्जुश्री थापा नेपाल, क्यानाडा आ संयुक्त राज्य अमेरिका में पलल बढल् अछि। ओ रोड आइल्याण्ड स्कूल अफ डिजाइन में फोटोग्राफी में अपन बी.ए.फ.ए. पूरा करवाक समय में लेख रचना लिखनाए शुरू केनए छल। हुनकर पहिल पुस्तक मुस्ताङ भोट फ्र्यागमेन्ट्स (१९९२) छल।[२]सन् २००१ में ओ उपन्यास द ट्यूटर अफ हिस्ट्री के प्रकाशित केलक, जेकरा ओ सिएटल में वासिङ्गटन विश्वविद्यालय में रचनात्मक लेखन कार्यक्रम में एमएफए थेसिस के रूप में शुरू केनए छल, जाहिमे ओ फुलब्राइट विद्वान के रूप में भाग लेनए छल। इन्द्र बहादुर राइ के एकटा अनुवाद के बारे में हुनकर अनुवाद आइ के कार्निभल टुडे २०१७ PEN अमेरिका हेम ट्रान्सलेशन ग्रान्ट विजेता भेल छल। १ फरवरी २००५ में नेपाल में सत्ता के उलट-पुलट सँ किछ हप्ता पहिने प्रकाशित हुनकर सभसँ चर्चित पुस्तक फोरगेट काठमाण्डौ:एन एलेगी फोर डेमोक्रेसी (२००५) छल। ई पुस्तक के सन् २००६ में लेट्रे यूलिस अवार्ड के लेल शर्टलिस्ट कएल गेल छल।[३]
पुस्तक के प्रकाशन के पश्चात, थापा उलट-पुलट के विरुद्ध में लिखवाक लेल देश छोडि देनए छल। सन् २००७ में ओ एकटा लघु कहानी सङ्ग्रह, टिल्ड अर्थ प्रकाशित केलक। सन् २००९ में ओ नेपाली पर्यावरणविद: ए बोय फ्रम सिकलीस: द लाइफ एण्ड टाइम्स अफ चन्द्र गुरुङ के जीवनी प्रकाशित केनए छल। आगा साल ओ एक उपन्यास प्रकाशित केलक, सिजन्स अफ फ्लाइट (२०११) में ओ एकटा ननफिक्सन कलेक्शन, दी लाइभ्स वी ह्याभ लस्ट: एसेइज एण्ड ओपिनियन्स अन नेपाल प्रकाशित केलक। हुनकर नवीनतम पुस्तक अल अफ अस इन आवर लाइभ्स सन् २०१६ में दक्षिण एसिया में प्रकाशित भेल, जे कि एकटा उपन्यास छि। ओ न्यूयोर्क टाइम्स में ओप-एड्स में सेहो योगदान देनए अछि।[४][५]
फिक्सन
नन-फिक्सन
अनुवाद