मेथिल देविका Methil Devika | |
---|---|
![]() | |
जन्म | सन् १९७६ |
व्यवसाय | नृत्य अनुसन्धान विद्वान, शिक्षक, कलाकार |
जीवनसाथी(सभ) | राजीव नायर (वि. २००२-२००४) (तलाक) मुकेश (वि.२०१३-वर्तमान) |
बालबच्चा | देवङ राजीव |
मेथिल देविका एक भारतीय नृत्य अनुसन्धान विद्वान, शिक्षक, कलाकार आ कोरियोग्राफर छी। मेथिलक मूलस्थान पलक्कड़ छी।
मेथिल देविकाक जन्म सन् १९७६ मे दुबईमे भेल छल, जतय ओ भारतीय उच्च विद्यालयमे पढ़ाई केनए छल। [१] हुनकर दू टा पैग बहीन राधिका पिल्लई आ मेथिल रेणुका अछि। लेखक मेथिल राधाकृष्णन हुनकर मामा छी, आ लेखक भिकेएनक पत्नी वेदवाथी देविका मौसी छी। मर्सी कौलेज गेलाक बाद, ओ पलक्कड़मे सरकारी भिक्टोरिया कौलेज सँ व्यवस्थापन सङ्कायमे स्नातकक डिग्री प्राप्त केलक।
ओ मद्रास विश्वविद्यालय सँ बिजनेस एडमिनिस्ट्रेशनमे मास्टर्स पहिल क्रमाङ्क कऽ सङ्ग पुरा केनए छल[२] आ रवीन्द्र भारती विश्वविद्यालय सँ पहिल क्रमाङ्क आ गोल्ड मेडल कऽ सङ्ग परफर्मिङ्ग आर्ट्समे मास्टर डिग्री प्राप्त केनए छल। [३] सन् २०१३ मे ओ तमिलनाडुक भारतीदासन विश्वविद्यालय सँ मोहिनीअट्टम विषयमे पिएचडी पूर्ण केलक। ओ स्नातकोत्तर अध्ययन विभागमे (मोहिनीअट्टम / कथकली / कूदीअट्टम)[४]व्याख्याता आ अनुसन्धान विभाग, केरल कलामण्डलम डीम्ड विश्वविद्यालय, केरलमे रहि चुकल अछि। [५] ओ केरल कलामण्डलम डीम्ड विश्वविद्यालयक अन्तर्राष्ट्रिय छात्रसभक विभागकें प्रमुखक रूपमे सेहो काज केनए अछि। [६]
मेथिल देविका मोहिनीअट्टम कऽ भारतीय शास्त्रीय नृत्य रूपक एक शिक्षक, विद्वान आ प्रस्तावक छी। [७] [८] संयुक्त राज्य अमेरिका, युरोप, अस्ट्रेलिया, एस्प्लेनेड थिएटर सिङ्गापुरमे नृत्य समारोहसभमे आ केरल ललित कला सोसाइटी[९] आ उस्ताद बिस्मिल्लाह खान युवा पुरस्कार युवा महोत्सव, [१०] जका प्रमुख समारोहसभमे हिनकर प्रदर्शनकें बहुत सराहना कएल गेल अछि। मैथिल सार्वभौमिक मानवीय भावनासभ खोजी करि मोहिनीअट्टम नृत्यकें पुन: परिभाषित केलक। देविका अपन कला कऽ माध्यम सँ भारतक विभिन्न विद्यालयसभ आ संस्थानसभमे आ विदेशमे मोहिनीअट्टम आ मलयालम साहित्य, सङ्गीत आ कविताकें प्रचार-प्रसार करवाक लेल व्याख्यान-प्रदर्शन आ पेपर-प्रस्तुतिसभ देनए अछि।[४] ओ तिरुवनन्तपुरममे पाँच दिवसीय २०१७ चिल्का नृत्य समारोह जका समारोह आयोजन केनए अछि। [११]
मेथिल सन् २०१५ मे अपन पति, मुकेश[१२]आ हुनकर बहीन, सन्ध्या राजेन्दनक सङ्ग सुएवरनद्वारा निर्देशित नाटक 'नगा के' रङ्गमञ्च रूपान्तरणमे देखाएल छल।[१३]बादमे सन् २०१७ मे मेथिल सुमेश लालद्वारा निर्देशित चलचित्र 'ह्यूमन्स अफ हयुमन्स' मे अपन पहिल चलचित्र केनए छल।[१४]
सन् २०१८ मे देविका ११म् शताब्दीक कविसभक कामक व्याख्याकें आधार पर लघु चलचित्र 'सरपततवाम' कऽ लेल कथन प्रस्तुत केनए छल। ओ ई डकुमेन्ट्रीक लेल सङ्गीत, कोरियोग्राफ आ स्वयं नृत्य सेहो केलक आ सह-निर्देशक आ सह-निर्माताक रूपमे सेहो काम केनए अछि।[१५]
{{cite news}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
{{cite web}}
: Cite has empty unknown parameter: |dead-url=
(help)