![]() सन् २०१८ ग्रीष्मकालीन युवा ओलम्पिकमे १० मिटर एयर राइफल सँ रजत पदक कऽ सङ्ग मेहुली घोष | |||||||||||||||||||||||||
व्यक्तिगत विवरण | |||||||||||||||||||||||||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
राष्ट्रियता: | भारतीय | ||||||||||||||||||||||||
नागरिकता: | भारतीय | ||||||||||||||||||||||||
जन्म: | २० नवम्बर २००० | ||||||||||||||||||||||||
बसोबास: | बैद्यबटी, हुगली | ||||||||||||||||||||||||
शिक्षा: | टेक्नो इन्डिया ग्रुप पब्लिक स्कुल, चिन्सुराह, हुगली | ||||||||||||||||||||||||
पेशा: | निशानेबाजी | ||||||||||||||||||||||||
सक्रिय बर्ष | २०१४– | ||||||||||||||||||||||||
खेल | |||||||||||||||||||||||||
राष्ट्र: | ![]() | ||||||||||||||||||||||||
खेल: | निशानेबाजी | ||||||||||||||||||||||||
विधा: | हवाई बन्दुक | ||||||||||||||||||||||||
उपलब्धि आ उपाधिसभ | |||||||||||||||||||||||||
विश्व फाइनल | मई सन् २०१७ मे चेक गणराज्य मे जुनियर शुटिङग प्रतियोगितामे ७म स्थान पर रहल। सन् २०१८ ISSF विश्व कपमे ओ २ कांस्य पदक जितने छल | ||||||||||||||||||||||||
राष्ट्रिय फाइनल | २०१६-२ गोल्ड, ७ सिल्बर, २०१७– ८ गोल्ड, ३ ब्रोञ्ज | ||||||||||||||||||||||||
मेडल रेकर्ड
|
मेहुली घोष (जन्म २० नवम्बर सन् २०००) एक भारतीय निशानेबाज खेलाडी छी। ओ दुनिया भरिमे अन्तर्राष्ट्रिय जुनियर निशानेबाजी प्रतियोगितामे भारतक प्रतिनिधित्व करैत अछि।[१] १२३ प्रतियोगिसभक बिच, ओ चेक गणराज्य मे आयोजित सन् २०१८ जुनियर निशानेबाजी प्रतियोगिताक फाइनलमे पहुचए वाली एकमात्र भारतीय महिला निशानेबाज छल। ओ ओत सातम स्थान पर प्राप्त केनए छल। सन् २०१८ मे, अस्ट्रेलियाक गोल्ड कोस्टमे आयोजित XXI राष्ट्रमण्डल खेलसभमे, ओ मार्टिना वेलोसोक सङ्ग शूट-अफ कऽ बाद महिला १० मीटर एयर राइफलमे रजत पदक जितने छल। इन्टरनेशनल शूटिङग स्पोर्ट फेडरेशन (ISSF) कऽ अनुसार, हुनकर एसियामे तेसर[२] आ विश्वमे छठम रैकिङग अछि।[३][४]
मेहुली सन् २०१४ मे सेरामपुर राइफल क्लबमे सम्मलित भेल। अभ्यासक समय कोनो व्यक्तिक गलती सँ मारवाक लेल हुनका क्लबद्वारा प्रतिबन्धित करि देल गेल छल। बादमे, मेहुलीक पूर्व भारतीय ओलम्पिक फाइनलिस्ट आ अर्जुन अवार्डी, जयदीप करमारकरद्वारा सलाह आ प्रशिक्षण देल गेल छल।
ओ जयदीप करमारकर सुटिङ्ग एकेडमीमे प्रशिक्षण प्राप्त केनए छल। सन् २०१६ मे, हुनकर चयन पुणेमे आयोजित इन्डियन नेसनल सुटिङ्ग च्याम्पियनसिपक लेल कएल गेल छल। ओ राष्ट्रिय च्याम्पियनशिपमे दुटा स्वर्ण पदक आ सातटा रजत पदक प्राप्त केनए अछि। सन् २०१७ क नेशनल च्याम्पियनशिपमे, मेहुली आठ स्वर्ण आ तीन कांस्य पदक जितने छल, आ हुनका सर्वश्रेष्ठ निशानेबाजक पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल।[५]
सन् २०१७ मे, ओ चेक गणतन्त्रमे आयोजित तैयारी जुनियर शुटिङग च्याम्पियनसिपमे भाग लेलक आ सातम् स्थान पर रहल। ओ जर्मनीमे आयोजित जुनियर वर्ल्ड शुटिङ्ग च्याम्पियनसिपमे १७म् स्थान पर रहल।[६] मेहुली सन् २०१७ दिसम्बर महिनामे जापान कऽ वाको सिटीमे एसियाली च्याम्पियन बनि गेल, जहिमे हुनकर स्कोर ४२०.१ छल आ ओ युवा ओलम्पिक सन् २०१८ मे कोटा स्थान प्राप्त केनए छल। सन् २०१८ मार्च महिनामे, ओ मेक्सिकोमे आइएसएसएफ विश्वकपमे दुई टा विश्वकप पदक जीतऽ वाली भारत कऽ सभ सँ कम उमर कऽ प्रतियोगीमे सँ एक बनि गेल। ओ ओतय जीतवाक रास्तेमे एक जुनियर वर्ल्ड रेकर्ड बनेलक। मेहुली राष्ट्रमण्डल खेल, २०१८ कऽ लेल क्वालिफाइ केनए छल।[७] सन् २०१८ मे, अस्ट्रेलियाक गोल्ड कोस्टमे आयोजित XXI राष्ट्रमण्डल खेलमे, ओ मार्टिना भेलोसो कऽ सङ्ग शुट-अफ कऽ बाद महिला १० मीटर एयर राइफलमे रजत जीतलक।
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
{{cite web}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)