सुरेश वाडेकर Suresh Wadkar | |
---|---|
पृष्ठभूमि जानकारी | |
वास्तविक नाम | सुरेश ईश्वर वाडकर |
जन्म | कोल्हापुर, बम्बे राज्य, भारत | ७ अगस्त १९५५
शैली | फिल्म सङ्गीतकार, शास्त्रीय सङ्गीतकारी |
कार्यसभ | सङ्गीतकार |
बाद्ययन्त्र | गायक |
सक्रियता वर्ष | १९७६-वर्तमान |
सुरेश वाडेकर(जन्म ७ अगस्त १९५५)[१] एक भारतीय पार्श्वगायक छी । ओ मुख्यतः हिन्दी आ मराठी फिल्मसभमे गाबैत अछि । एकर बाद, हिनका द्वारा बहुतो भोजपुरी, कोंकणी आर ओड़िया गानासभ सेहो गाओल गेल अछि । हिनकर जन्म वर्ष १९५५ में कोल्हापुरमे भेल छल । फिल्मसभमे गाबैत सङ्गे ओ शास्त्रीय सङ्गीतमें सेहो रुचि रखैत अछि । वर्ष २०११ में हिनका श्रेष्ठ पार्श्वगायकक श्रेणीमे राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कारसँ सम्मान कएल गेल छल ।