![]() | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
| |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
४ महानगरपालिका १३ उपमहानगरपालिका २७६ नगरपालिका ४६० गाउँपालिका | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
कूल मतदान | ७३.४% (पहिल चरण) ७३.७% (दोसर चरण) ७७% (तेसर चरण) | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
|
स्थानीय तह निर्वाचन, २०७४ नेपालक ४ महानगरपालिका, १३ उपमहानगरपालिका, २७६ नगरपालिका ४६० गाउँपालिकामे तीन चरणमे विक्रम सम्वत २०७४ बैशाख ३१, २०७४ असार १४ आ २०७४ आसिन २ मे भेल अछि ।[१][२] २० वर्ष आ नेपालक संविधान २०७२ लागू भेल पश्चात सम्पन्न भेल ई पहिल स्थानीय तहक निर्वाचन छल ।[३] ई स्थानीय तह निर्वाचनमे नेकपा (एमाले) सबसँ पैग दल बनैमे सफल भेल अछि तहिना नेपाली कांग्रेस मिथिला भोजपुरा छेत्रमे सबसे बड़ा पार्टी बनल।
सन् २००६ मे ज्ञानेन्द्र शाहक राज्यसत्तामे नेपालक ५३ नगरपालिकामे स्थानीय निर्वाचन करौने छल मुदा मुख्य राजनैतिक दलसभद्वारा निर्वाचन वहिष्कारक कारण निर्वाचनमे जनताक न्यून उपस्थितिक साथ न्यून मतदान भेल छल ।[४] सन् २००६ सँ पहिने सन् १९९७ मे स्थानीय निकायक निर्वाचन भेल छल जकर अवधि ५ वर्ष कायम कएल गेल छल । सन् २००२ मे निर्वाचन होमएवला छल मुदा आन्तरिक गृहयुद्धक कारण निर्वाचन नै भऽ सकल ।
नेपालक संविधान २०७२ लागू भेलावाद राष्ट्रिय स्तरीय, प्रदेश स्तरीय आ स्थानीय स्तरीय करि ३ स्तरीय शासन प्रणालीक आरम्भ कएल गेल अछि । संविधान अनुरुप स्थानीय तह कार्यान्वयन करवाक निमित्त नेपाल सरकार बालानन्द पौडेलक अध्यक्षतामे स्थानीय निकाय पुनर्संरचना आयोगक गठन केनए छल । आयोग ७१९ टा स्थानीय तहक अवधारणा सरकार समक्ष प्रस्तुत केनए छल जकरा पाछा सरकार सुधार करि ७५३ बनौने छल । सन् २०१७ मार्च १० मे नव नीति अनुरुप पुरान गाउँ विकास समितिसभके मिलाए गाउँपालिका गठन कएल गेल छल ।[५]
स्थानीय निकायमे एकटा अध्यक्ष/मेयर आ एकटा उपाध्यक्ष/उपमेयर रहवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । ई वाहेक स्थानीय निकायके वडामे विभाजन कएल अछि जहिमे एकटा वडा अध्यक्ष आ ४ सदस्य रहवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । ४ सदस्यसभमे सँ अनिवार्य रुपमे २ महिला होवाक उल्लेख अछि । सम्पूर्ण पदसभक अवधि ५ वर्षक लेल कायम कएल गेल अछि । प्रत्यक्ष रुपमे निर्वाचन व्यवस्था भेल सबसँ बेसी मत प्राप्त कएनिहार उम्मेदवार विजय घोषित कएल जाइत ।[६]
स्थानीय निकाय प्रकार | विकल्प |
---|---|
महानगरपालिका | एक मेयर, एक उपमेयर, एक वडा अध्यक्ष आ ४ वडा सदस्य |
उप महानगरपालिका | एक मेयर, एक उपमेयर, एक वडा अध्यक्ष आ ४ वडा सदस्य |
नगरपालिका | एक मेयर, एक उपमेयर, एक वडा अध्यक्ष आ ४ वडा सदस्य |
गाउँपालिका | एक अध्यक्ष, एक उपाध्यक्ष, एक वडा अध्यक्ष आ ४ वडा सदस्य |
स्थानीय तहक निर्वाचन करवाक लेल प्रमुख राजनैतिक दलसभ तयार भेला वाद निर्वाचन करवाक लेल नेपाल सरकारक मन्त्रिपरिषदद्वारा निर्वाचन आयोगसँग सल्लाह सुझाव करि वि.सं. २०७४ वैशाख ३१ (सन् २०१७ मार्च १४) मे निर्वाचन करेवाक निर्णय कएल गेल छल ।[७][८][९]स्थानीय निकायक निर्वाचन करवाक लेल मन्त्रिपरिषद निर्वाचन आयोगके १० अर्ब २९ करोड ६३ लाख ७६ हजार ७७५ रुपैयाँ विनियोजित केनए छल ।[९]
वि.सं. २०७४ बैशाख ३१ मे देशभरि निर्वाचन करेवाक सरकारक निर्णयप्रति आपत्ति जनावैत आएल मोर्चासंग सरकारक सहमति भेलाकबाद स्थानीय निकायक निर्वाचन तीन चरणमे कराएल गेल ।[१०][११]सहमति अनुसार पहिल चरणक निर्वाचन वि.सं. २०७४ बैशाख ३१, दोसर चरणक निर्वाचन वि.सं. २०७४ असार १४ गते आ तेसर चरणक निर्वाचन वि.सं. २०७४ आसिन २ गते भेल अछि ।[१०][१२]
स्थानीय तहक निर्वाचन करेवाक लेल सुरक्षा व्यवस्था कडा आ चुस्त बनावैक लेल ७ अर्ब ५० करोड रुपैयाँ विनियोजित कएल गेल छल ।[१३]
नेपाल सरकारक मन्त्रिपरिषद्क निर्णय अनुसार निर्वाचन आयोग स्थानीय निकायक निर्वाचन ३ चरणमे भेल अछि । निर्णयअनुसार पहिल चरणक निर्वाचन वि.सं. २०७४ बैशाख ३१ (सन् २०१७ मार्च १४) मे नेपालक नयाँ गठित बागमती प्रदेश, प्रदेश नं. ४ आ प्रदेश नं. ६मे सञ्चालन भेल अछि, दोसर चरणक निर्वाचन वि.सं. २०७४ असार १४ (सन् २०१७ जुन २८) मे कोशी प्रदेश, प्रदेश नं. ५ आ प्रदेश नं. ७मे सञ्चालन भेल अछि तहिना मधेश प्रदेशमे तेसर चरणक निर्वाचन वि.सं. २०७४ आसिन ०२ (सन् २०१७ सेप्टेम्बर १८) मे भेल अछि ।[१४]
{{cite web}}
: Check date values in: |accessdate=
(help)
{{cite web}}
: Check date values in: |date=
(help)
{{cite web}}
: Check date values in: |date=
(help)
{{cite web}}
: Check date values in: |date=
(help)
{{cite web}}
: Check date values in: |date=
(help); Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
{{cite web}}
: Check date values in: |date=
(help)
{{cite web}}
: Check date values in: |date=
(help); Cite has empty unknown parameter: |1=
(help)
{{cite web}}
: Check date values in: |date=
(help)[permanent dead link]
{{cite web}}
: Check date values in: |accessdate=
(help)