![]() | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
व्यक्तिगत जानकारी | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
पुरा नाम | स्मृति श्रीनिवास मन्धाना | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
जन्म | मुम्बई, महाराष्ट्र, भारत | १८ जुलाई १९९६|||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
बल्लेबाजी शैली | बामा हाथ सँ बल्लेबाजी | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
गेन्दबाजी शैली | राईट आर्म मीडियम पेस | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
काज | बल्लेबाज | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
राष्ट्रिय पक्ष | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
टेस्ट पदार्पण (टोपी ७५) | १३ अगस्त २०१४ v इङ्ल्यान्ड | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
अन्तिम टेस्ट | १६ नवम्बर २०१४ v दक्षिण अफ्रीका महिला | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
ओडिआई पदार्पण | १० अप्रिल २०१३ v बंगलादेश महिला | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
अन्तिम ओडिआई | १२ अप्रिल २०१८ v इङ्ल्यान्ड महिला | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
ओडिआई पोसाक क्रम | १८ | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
टि२०आई पदार्पण | ५ अप्रिल 2013 v बंगलादेश महिला | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
अन्तिम टि२०आई | ९ जून २०१८ v पाकिस्तान महिला | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
खेल जीवनी तथ्याङ्क | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
| ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
स्रोत: ईएसपीएन क्रिकइन्फो, 12 April 2018 |
स्मृति मन्धाना एक भारतीय महिला क्रिकेट खेलाडी छी, जे भारतीय महिला क्रिकेट टिम कऽ लेल खेलैत अछि । [१]ओ मुख्य रूप सँ बामा हाथसँ बल्लेबाजी करैत अछि जे २०१७ कऽ महिला [२]क्रिकेट विश्व कपमे दु शतक सेहो लगेने छल । इनकर जन्म मुम्बई, महाराष्ट्र मे १८ जुलाई १९९६ क भेल छल ।[३] आ
मन्धानाक जन्म सन् १९९६ जुलाई १८ मुम्बई भारतमे स्मिथ आ श्रीनिवास मन्धानाक घरमे भेल छल। [४][५]जखन ओ २ सालक छल त हुनकर परिवार मधावनगर, साङगलीमहाराष्ट्रमे स्थानान्तरित भ गेल छल जत ओ अपन प्रारम्भिक शिक्षा पुरा केलक। हुनकर पिता आ भाई, श्रवण दुनु साङगलीक लेल जिल्ला स्तर पर क्रिकेट खेलैत छल जहि कारण ओ क्रिकेटर बनैक लेल अपन भाई सँ प्रेरित भेल छल जखन हुनकर भाई महाराष्ट्र अन्डर १६ खेलने छल। ९ वर्षक आयुमे ओ महाराष्ट्र अन्डर १५ क टीममे चुनल गेल छल। ११ वर्षक आयुमे हुनका महाराष्ट्र अन्डर १९ क टीमक लेल चुनल गेल छल।[६] मन्धानाक परिवार हुंकार क्रिकेट गतिविधिसभमे बहुत निकटता सँ सम्मलित अछि। हुनकर पिता श्रीनिवास, एक रासायनिक वितरक भेलाक बादो हुनकर क्रिकेट कार्यक्रम क देखभाल करैत अछि, हुनकर माता स्मिता हुनकर आहार, कपडा आ अन्य सङगठन कार्यभारक सम्हारैत अछि, आ हुनकर भाई श्रवण अखनो नेट्सम हुनका गेन्दबाजी करैत अछि।
मन्धानाक पहिल सफलता हुनका तब भेटल जब ओ अक्टुबर २०१३ मे भेल एकदिवसीय म्याचमे डबल शतक हासिल करैवाली पहिल भारतीय महिला बनल। गुजरात क विरुद्ध माहाराष्ट्रक लेल खेलैत, ओ वडोदरामे आलेम्बिक क्रिकेट ग्राउन्ड पर वेस्ट जोन अन्डर १९ टूर्नामेन्टमे १५० गेन्द पर नाबाद २२४ रन बनेलक। २०१६ महिला च्यालेन्जर ट्रफीमे, मन्धाना भारत रेडक लेल बहुत खेलमे तीन अर्धशतक क मदद सँ, आ अपन टीमक भारत ब्लूक विरुद्ध फाइनलमे ८२ गेन्द पर नाबाद ६२ रन बनाक ट्रफी जीत लेलक।[७]
सन् २०१६ सितम्बरमे, मन्धानाक महिला बिग बाश लिग (WBBL) क लेल ब्रिस्बेन हीटक साथ एक सालक लेल अनुबन्धित कएल गेल छल, आ हरमनप्रीत कौरक साथ, लिगक लेल हस्ताक्षरित होएवाला पहिल दु भारतीयमे सँ एक बएन गेल।[८]
{{cite web}}
: Check date values in: |accessdate=
(help)
{{cite web}}
: Check date values in: |accessdate=
(help)
{{cite web}}
: Check date values in: |accessdate=
(help)
{{cite news}}
: Unknown parameter |dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)