स्वाती रेड्डी Swathi Reddy | |
---|---|
![]() स्वाती सन् २०१० मे | |
जन्म | स्वेतलाना रेड्डी १९ अप्रिल १९८७ (उमर ३१) |
अन्य नामसभ | कलर्स स्वाती |
व्यवसाय | अभिनेत्री, टेलिभिजन प्रस्तोता, पार्शव गायक, स्वर कलाकार |
सक्रिय वर्ष | २००६–वर्तमान |
जीवनसाथी(सभ) | विकास वासु |
अभिभावक(सभ) | इन्द्रा देवी (माता) ले.शिव रामा कृष्णा रेड्डी (पिता) |
सम्बन्धी | सिद्धार्थ रेड्डी (भाई) |
स्वाती रेड्डी (जन्म १९ अप्रिल सन् १९८७) रूसी मूलक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री आ टेलिभिजन प्रस्तुतकर्ता छी, जे मुख्य रूपसँ तमिल आ मलयालम चलचित्रसभक सङ्गे तेलुगु सिनेमामे काम करैत अछि। हुनकर उपनाम कलर्स स्वाती तेलुगु टेलिभिजन शो कलर्समे हुनकर स्टेन्ट सँ आबैत अछि, जे सन् १९९६ मे मा टिभी पर प्रसारित भेल छल, जे हुनकर प्रसिद्धी छल। सहायक भूमिकासभ निर्वाह करैएक बाद, ओ तमिल फिल्म सुब्रमण्यपुरम (२००८) मे एक प्रमुख अभिनेत्रीक रूपमे अपनी शुरुवात केनए छल। तेलुगु फिल्म आस्था चम्मा मे हुनकर भूमिकाक लेल हुनका सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक फिल्मफेयर पुरस्कार आ नन्दी पुरस्कार भेटल छल। [१][२][३]